भाषाविद्-कवि-नाटककार निबंधकार आर अनुवाद विशेषज्ञ प्रोफेसर डॉ. उदय नारायण सिंह 'नचिकेता' वर्तमान में एमिटी विश्वविद्यालय हरियाणाक कला संकाय के चेयर प्रोफेसर आर डीन छथि। एहि सँ पूर्व ओ बड़ौदा सूरत दिल्ली तथा हैदराबाद विश्वविद्यालय में आचार्य पद पर कार्यरत रहि चुकल छथि। केंद्रीय भारतीय भाषा संस्थान मैसूर कर ओ सफल निर्देशक रहलाह। एकर अतिरिक्त ओ विश्वभारती शांतिनिकेतन के पहिल प्रति-कुलपति छलाह आर किछु समय तक रवीन्द्र भवन केर निदेशक सेही। लुप्तप्राय भाषा केंद्र CFEL के प्राचार्य के जिम्मेदारी के सेहो ओ कुशलतापूर्वक सम्हारलैन। 2017 में मैथिली भाषा में कविता-संग्रहक लेल हुनका साहित्य अकादमी पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेलैन। बांग्ला में निबंध कविता बाल-कविता तथा कथाक लगभग पंद्रह टा पोथी एवं मैथिली में बारह नाटक आर कविताक पाँच टा पोथी प्रकाशित भेल छन्ति जाहिमे बहुत रास पोथीक भारतीय तथा यूरोपीय भाषा में अनुवाद सेहो कयल जा चुकल। ओ यूनेस्को के सुप्तप्राय भाषा के विश्व एटलस के तीस संपादक मे सँ एक रहि चुकल छथि। विश्व कर तीस देश में ओ आमंत्रित व्याख्यान देबाक लेल जा चुकल छथि। भाषा मंदाकिनी राष्ट्रीय अनुवाद मिशन अनुसारक मशीनी अनुवाद संग कतेको राष्ट्रीय परियोजनाक नेतृत्व वा युग्म-नेतृत्व केने छथि। गांगेयपत्र (बांग्ला) इंडियन लिग्विस्टिक्स ट्रांसलेशन टुडे (दुनू अंग्रेजी) मिथिला दर्शन आर मैथिली कविता (मैथिली) सन सारस्वत पत्रिकाक संपादन केलैन। हिनकर नवीन पुस्तक अछि: The Other India: View From Below (राजर्षि सिंह के साथ साहित्य अकादेमी 2022) सुकुमार सेनः अ ग्रेट क्रोनिक्लेर ऑफ़ टाइम (2023 साहित्य अकादेमी) और बांग्ला में 'भाषा साहित्य संस्कृति' (जातीय साहित्य प्रकाश ढाका बांग्लादेश 2022)।